Friday, October 28, 2011

चित्रगुप्त पूजा २०११

हमरा लेल चित्रगुप्त पूजा, हिनूमें उपस्थित होयब जीवनक प्रथम एहेन घटना छल
काल्हि साँझमे सत्येन्द्र मल्लिक आमंत्रण देलन्हि
मैथिली द्वितीय राजभाषा संघर्ष समितिक ओ संयोजक छथि हुनकास एही बीच सामीप्य बढ़ी गेल अछी
मैथिली संगठनक जातीय स्वरुपस हम चिंतित रहैत छि
मैथिली आन्दोलनक जड़ी नहीं पकडाबक एक प्रमुख कारण ईहो छैक यद्यपि शिक्षाक प्रचार प्रसार स ई भ्रम क्रमशः टूटी रहल छैक
मैथिली सबहक भाषा अछि २००१क जनगणना में करीब सवा कड़ोर मातृभाषा मैथिली लिखेलाह जकर आधा सेहो तथाकथित ब्राह्मण जातिक लोक मिथिलामे नहीं छथि
हम जातीय अनुष्ठानमें नहीं जैत छि मुदा अन्य जातिक लोक बजबथी जरुर जायब
चित्रगुप्त भनहि कायस्थ पूजित होती ओ लेजः जोखा सबहक करयबला छथि
परम्पूरूषक कायास उत्पन्न चित्रगुप्तक पूजा सब दिन हम तर्पण करैत काल करैत छि हुनक १४ नाम क संग तखन ओ कोना भेलाठी कोनो जातिक देवता?
पूजाक अंत में एक पन्ना पर अपन आमद खर्च लिखी देल गेल सब लोक सरकार जाका घाताक बजट सलाई आ रंग स लिखलाह- आई कलम बंद रहैत छनि कायस्थक- मुदा ब्राह्मण कंहा रक्षाबंधन दिन अपन काज बंद राखैत छथि
हम कह्लियेन्ही जे भगवान् चित्रगुप्त पाप पुन्यक लेखा जोखा करयबला छथि
टका पाइक मामला कुबेरक छनि जिनक पूजा लक्ष्मीक संग दीपावलिक विधानतः होइत अछि आ संगही ओहि दिन राजा इंद्रक सेहो- ओ दूनू के स्वस्थानं गच्छ कहल जैत छनि
लागैत अच्छी धन्वन्तरी पूजनक घाइल क बदला लोक जेना बसन खरीदैत अच्छी अमृत के बिसरी तहिना ई भेल अपन पाप पुन्य के बिसरी आय व्यय के लेखा कोखा आ ओहो गल्तान्ही
की अंहक झूठ चित्रगुप्त महाराज लग चलत?
मुदा की ब्राह्मण सेहो रक्षा बंधन क ऐना करताह- एक जातीय पर्व के मना के ? आनहु कोनो कोनो जातिक विशेष पर्व होइत छैक व ओका रपट लगा ओहि में सबके शामिल हेबाक चाही
सत्येंद्रजी कहने छलाह जे केन्द्रीय पर्यटन मंत्री श्री सुबोधकान्तजी सेहो रहताह आ विधान सभाक अध्यक्ष श्री सी पी सिंघजी
राती में एकाएक ध्यान आयल जे सीता सर्किट बला डाटा सुबोध्कंत्जीके देबाक छल आ २ बजे राती तक जगी मैथिलीमे त्र्य्पे कायल के हिन्दी में केलान्हू आ आई ओकर प्रिंट ले गेल छालान्हू
अपन व्यस्तता में किछ्वे मिनुत मंच पर छलथि मुदा बगलमे बैसल हम हुनका प्रारूप आ आमंत्रण देलियेन्ही आ किछु मिनुत बात
शायद एहिसब संयोग लेल हमरा सन किनको मंच पर बजायब फलदायी महज पाग दोपता क सम्मंक आकांक्षा नहीं अच्छी- से बहुत भेल जतेक काज केने होयब ओही स अधिक ठाम ठाम
फरीदाबाद जाइत छलन्हू तखन सेहो हर बेर कोनो ने कोनो नेता के मिथिला राज्यक लेल सामग्री देत छाल्न्हू- अहू बेर मैथिली सन्देश हुनका देल जाहिमे मिथिला राज्यक बात छैक लिखल
विधान सभाक अध्यक्ष श्री सी पी सिंघजी हमरा बड़े भाई कही संभवतः अपन अखिल भारतीय विद्यार्थी परिषदक दिन चलते संबोधन केलाह वा हमर उदल केश देखि !


डॉ. धनाकर ठाकुर
प्रवक्ता , अंतर्राष्ट्रीय मैथिली परिषद् 09470193694



Dr. Dhanakar Thakur
Spokesman,
Antarrashtriya Maithili Parishad
www.geocities.com/maithili_parishad

No comments: