Friday, January 14, 2011

विभूति तेजनारायण झाक देहावसान ६ जनबरीक पटनामे

मिथिलाक एक विभूति तेजनारायण झाक देहावसान ६ जनबरीक पटनामे बेटीक घर ८४ वर्षक अवस्थामे भय गेलैन्ही.
१९४२मे हुनका ३३ बेंतक सजा भेटल छलैन्हि जखन ओ मात्र १५वर्षक छलाह
ओ साम्यवादी दलक आजीवन सक्रिय सदस्य रहलाह आ २०११क विधान सभा चुनावमे सेहो अपन दलक उमीदबार लेल प्रचार केलाह
ओ चारि बेर विधायक आ संविदक सरकारमे सिंचाई आ बिजली विभागक राज्यमंत्री सेहो छलाह
अखिल भारतीय मिथिला संघक ओ सक्रिय कार्यकर्ता छलाह आ एहि नाते २६-२७ दिसंबर १९९८ क भेल अन्तरराष्ट्रीय मैथिली सम्मलेन में उपस्थित छलाह आ अपन विचार सभके सुनौने छलाह
ओही समय हमरा अन्तरंग बात हुनकासँ भेल छल
ओ जनैत छलाह जे हम साम्यवादी विचारधाराक उलटा छी मुदा हुनक पितियौत- मसियौत भाई हर्षनारायण हमर दरभंगा मेडिकल कॉलेजमे सहपाठी छलाह बल्कि एकमेव मित्र छलाह
तैं हुनक हमरा प्रति अगाध स्नेह छलैन्हि
आई जखन हर्षनारायण फ़ोन पर कहलाह जे ओ नहीं रहलाह त लागल एक नैष्ठिक मैथिल सामाजिक कार्यकर्ता उठि गेल जे जीवन भरि अपन विधासँ समाजक सेवा करैत रहलाह.
डॉ धनाकर ठाकुर

No comments: