Monday, February 16, 2026

 एntarrashtriy maithili parishad

मैथिली, मैथिल आ मिथिलाक सर्वांगीण विकासक हेतु समर्पित समन्वयकारी संगठन

स्थापना: 20 जून 1993

अन्तरराष्ट्रिय मैथिली परिषद एक समर्पित मंच अछि जे मिथिला क्षेत्रक सांस्कृतिक, भाषिक आ सामाजिक उत्थानक लेल भारत आ नेपालमे सक्रिय रूप सं कार्यरत अछि। परिषद्‌क मुख्य उद्देश्य मिथिलाक पहचान, मैथिली भाषाक संवर्द्धन, आ मैथिल समाजक समेकित विकास अछि।

 मुख्य उपलब्धि

भारत आ नेपालमे अलग-अलग मिथिला राज्य निर्माणक संगठित प्रयास
अबतक आयोजित 36 अन्तरराष्ट्रिय मैथिली सम्मेलन
10 चतुर्दिवसीय कार्यकर्ता प्रशिक्षण शिविर, जइमे सात मिथिलाक गाम-गाममे आयोजित
मैथिली भाषाक आठम अनुसूचीमे स्थान दिलाबै मे महत्त्वपूर्ण भूमिका
झारखंडमे दोसर राजभाषा रूपे मैथिलीकेँ मान्यता
रांची-जयनगर ट्रेन संचालनक पहल
रांचीमे विद्यापति स्मारक समिति के पुनर्जीवन
झारखंड मैथिली मंच केर स्थापना
तीन दर्जन सं अधिक  अनुषंगी संगठन संग सेवारत
कार्यक्षेत्र:

भारत, नेपाल आ प्रवासी मैथिलक बीच सामूहिक चेतना जगा क’ मिथिला, मैथिली आ मैथिलक सर्वांगीण विकास करब।

मुख्यालय:

रांची, पंजीकृत कार्यालय सुभाष चौक, जयनगर 847226

No comments: